Wednesday, October 9, 2013

लाजे हम भागि गेलौ :- सत्यनारायण झा

१९६६सं १९७२ तक हमरा गाम मे दुर्गा पूजा मे नाटक बहुत जोर सोर सं होयत छलैक |प्रचार पसार सेहो खुब होयत छलैक |दुर्गा स्थानक फिल्ड लोक सं पाटि जाइत छलैक |ओहि समय के टीम एतेक ससक्त रहैक जे नव तुरिया लग बुढा सभ के नहि चलनि |पूजा कमिटी अलग आ नाटक कमेटी अलग |दुनुक फंड सेहो अलग अलग |रांटी ,मंगरौनी पिलखवार मिथिलाक सर्वश्रेष्ठ गाम ,पुरा गाम संस्कृत विद्वान सं भरल आ तेहने रूढ़ीबादी सभ |नाटक के बिरोध ,जे नाटक मे भाग लेत ओकरा हाथक कियो पानि नहि पितै |मुदा नवतुरियो सभ एक जुट, नहि पानि पिताह त’ हम सभ अपना मे पियब आ एना संघर्ष कय हमरा लोकनि नाटक खेलेलौ आ बुढा सभ सेहो देखय लगलाह आ भरि भरि राति देखैत छलाह |नव तुरिया स्वतंत्र भ’ गेल आ हमरा सभक नाटकक प्रचार बहुत भ’ गेलैक |ओहि समय दुर्गास्थान गनले गुथल गाम मे रहैक तै भीड़ स्वभाविक |१९६७ के बात छैक चारिटा नाटकक चुनाव भेल ताहि मे एकटा मेघनाद बद्ध सेहो रहैक |एक दुटा धार्मिक ,बांकी सामाजिक मुदा कम सं कम दुटा मैथिली नाटक चुनाव होयक |मैथिली नाटकक पुस्तक के अभाव रहैक तैयो जेना तेना मैथिली नाटक जरुर होयक |हाँ ,त’ १९६७ मे
मेघनाद वद्ध नाटक के विषय मे कहैत छलौ ,एहि टीम मे जीवानंद मिश्र ‘जीवन’रावण
,हम राम आ भगवान मेघनाद बनल रहथि |एहिना विभिन्न पार्ट मे विश्वनाथ मिश्र उर्फ शंकरजी ,विजयनाथ झा ,भवनाथ मिश्र ,मुक्ति नारायण ,मोहन झा आदि सभ रहथि |मास्टर नर्सिंग नारायण मिश्र ,विद्यार्थी बहुत मेहनत करैत छलाह ओ पार्टो
लैत छलाह आ कास्टिंग सेहो तैयार करैत छलाह |नाटक नियत समय पर प्रारम्भ भेल |पुरा फिल्ड लोक सं भरल |४५ वर्ष पहिनेक किस्सा छैक |टेक्निक त’ ओतेक डेवलप नहि रहैक आने लोके ओतेक बुझैक ,जैह देखै से अजूबा लगैक |रावणक आवाज माइक पर लगैक जेना साक्षात रावण छैक |लक्ष्मण आ मेघनाद के युद्ध भ’ रहल छलैक आ मेघनाद शक्ति वाण के प्रयोग क’ देलकै आ लक्ष्मण मूर्छित भ’ जाय छैक |ओकर बाद रामक बिलापक सीन रहैक |जीवानंद जी रावण बनल रहथि ओ एकटा चादरि देह पर लय माइक पर गेलाह आ जनता के संबोधन केलनि जे सभ लोक शांत भ’ बैसू कारण एखुनका दृश्य राम विलाप अत्यंत मार्मिक आ सुन्दर अछि ,नाटकक अहम् भाग अछि ,पुरा श्रोता शांत ,यद्यपि जीबन जीक उद्घोषणा हमरा ठीक नहि लागल कारण ओ स्वं रावण छलाह ,हमरा समय नहि छल |स्टेज पर गेलौ |पार्ट ततेक नीक भेलैक जे बहुत लोक क’ नोर खसय लगलनि |पुरा श्रोता ग़मगीन भ’ गेलाह |आब असली बात पर अबैत छी |अंतिम सीन मे राम रावण क’ युद्ध होयत रहैक |अंत मे राम याने हम एकटा तीर रावण पर चला देलियैक |रावण के पेट मे लगलैक ,रावण राम के दुर्वचन कहैत पेट पकरि कहरति चारुकात घुमैत छैक आ रावण के पेट सं शोनितक धार फुटैत छैक आ ओ खासि परैत छैक |शोनितक बेलून ततेक नीक सं सेट रहैक जे लोक के भेलैक जे सही मे तीर लागि गेलैक आ सही शोणित खसैत छनि |दर्शक मे हल्ला उठि गेलैक |बहुत जोर हल्ला उठलैक |उद्घोषक कमलनाथ जी कतबो शांत करथीन मुदा लोक शान्ते नहि होयक |आगा के पार्ट रुकल रहैक |अंत मे रावण स्वं उठि लोक के शांत केलनि |रावण के उठैत हम लाजे पर्दा के पाछू भागि गेलौ आ लोक शांत भेलैक कि रावण फेर मूर्छित भ’ खसि परला |हमरा हिम्मत नहि भेल जे स्टेज पर जायब |हम पाछू सं माइक सं एनाउंस क’ देलियैक जे नाटक समाप्त भ’ गेल आ श्री रोहणी रमण झा सं प्रहसनक आनन्द लिअ |पर्दा खासा देलियैक |


 सत्यनारायण झा के फेसबुक वाल सँ साभार 

Tuesday, December 18, 2012

विजय दिवस सैनिक परिजन के सम्मानित कायल गेल

अपन गाँव पिलखबार में बीतल रविदिन अखिल भारतीय पूर्व सैनिक सेवा परिषदक द्वारा विजय दिवसक अवसर पर भारतीय सेना में वीर गति के प्राप्त सैनिक के परिजन के सम्मानित कायल गेल। कार्यक्रमक अध्यक्षता योगी पासवान आ मंच संचालन कर्नल एसबी लाल द्वारा कायल गेल। कार्यक्रमक मुख्य अतिथि सूबेदार रामअशीष पांडे, एसएसबी 35 वीं वाहिनीक असिस्टेंट कमांडेंट प्रवीण कुमार, नायब सूबेदार सियाराम सिंह, महंथ चिरंजीव गिरि आदि अहि अवसर पर कहलैनी कि 1971 ई. में भारत आ पाकिस्तानक बीच युद्ध में भारतीय सेना पाकिस्तानी सेना पर विजय प्राप्त केने छल। 16 दिसंबर 1971 ई. क पाकिस्तानी सेना भारतीय सेनाक समक्ष आत्मसमर्पण केने छल। अहि युद्धक दौरान भारतीय सेनाक तीन हजार छह सौ 30 सैनिक शहीद भेल छला आ 9 हजार 56 सैनिक घायल भेल छला। शेष दो सौ 13 सैनिक लापता घोषित भेल छल। युद्धक बाद भारत सरकार द्वारा भारतीय सैनिक एवं हुनक विधवा के अनेको पदक स नवाजल गेल छल। 16 दिसंबर के विजय दिवसक रूप में सारा राष्ट्र मनावैत अछि। कार्यक्रमक शुरुआत स्वागत गान स भेल। स्वागत गान पिलखबार मध्य विद्यालयक छात्रा द्वारा गायल गेल। ओतय साहित्याचार्य रघुनाथ झा अभिनंदन पत्र पढ़ला आ आगत अतिथि सब के सौंपला। अहि अवसर पर सूबेदार रामाश्रय पांडे द्वारा झंडोत्तोलन कायल गेल। संगही अतिथियों द्वारा 1971 ई. में भारतीय सेनाक तत्कालीन सेनाध्यक्ष सैम मानिक शॉ एवं मुंबई में आतंकवादी हमला में वीर गति के प्राप्त मेजर संदीप उन्नीकृष्णनक तैल चित्र पर माल्यार्पण कायल गेल। अहि कार्यक्रम में स्मारिकाक विमोचन सेहो कायल गेल। अहि अवसर पर जीवानंद मिश्रा 'जीवन', एसएसबी के विनोद सेन, प्रभाकर झा, भगवान जी झा, गोवानंद झा उर्फ सोनू, काली झा सहित सैनिक सभक विधवा पूर्व सैनिक सहित अन्य गणमान्य लोग उपस्थित छला। धन्यवाद ज्ञापन जीवानंद मिश्र 'जीवन' केलैनी।

अहि अवसर पर अखिल भारतीय पूर्व सैनिक सेवा परिषद द्वारा सैनिक के परिजन के शॉल द क सम्मानित कायल गेल। अहि में दानापुर, पटना आ जिला स अनेको सैनिक के परिजन उपस्थित छला। शहीद उमेश कुमार झा क पत्नी सुनीता देवी, मनोज कुमार झा क पत्नी उषा देवी, हरिवंश सिंह क पत्नी सविता देवी, त्रिवेणी पांडे क पत्नी मालती देवी, उमाकांत राय क पत्नी मीना देवी, इन्द्रजीत सिंह क पत्नी उर्मिला देवी आ सिपाही बी.के. ठाकुर क पुत्री डॉली कुमारी के सूबेदार रामाश्रय पांडे, असिस्टेंट कमांडेंट प्रवीण कुमार योगी पासवान, नायब सूबेदार सियाराम सिंह, महंथ चिरंजीव आदि सम्मानित केलैनी।

Tuesday, October 23, 2012